जुनि रुसियौ हे सुन्नरि आहाँ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

जुनि रुसियौ हे सुन्नरि आहाँ

जुनि रुसियौ हे सुन्नरि आहाँ
जुनि  करियौ  एहेन बेवहार
सकल मरद पर राज अहीं केर
नतमस्तक  सोझां  संसार

नित नबका फरमाइश सुनाबी
अपनहिं मोनक हुकुम चलाबी
रुसब , कानब , मुँह फुलाएब
ई  केहेन अस्त्र , केहन प्रहार ?
                जुनि रुसियौ हे सुन्नरि आहाँ
                जुनि  करियौ  एहेन बेवहार

सीरियल मे  नीकहुँ के देखियौ
रत्तियो भरि त' निकहा सिखियौ
रहै जे छी फुफकारैत सदिखन
कोना हेतइ  ई  सब स्वीकार ?
                जुनि रुसियौ हे सुन्नरि आहाँ
                जुनि  करियौ  एहेन बेवहार

बुझलऊँ दुर्गा - काली छी आहाँ
कलियुग मे  नखरावाली  आहाँ
केहेन  छेब  सब  देह  बेसाहल
कोना  कए भेलियै  बेसमहार ?
                जुनि रुसियौ हे सुन्नरि आहाँ
                जुनि  करियौ  एहेन बेवहार

हाल जे देखल अग्रज सब केँ
पत्नि प्रताड़ित बेचारा सब केँ
रही अकानैत बात हम सबटा
की दिल्ली'क लड्डू एतेक बेकार ?
अछि बदलि रहल " नारी संसार "
                जुनि रुसियौ हे सुन्नरि आहाँ
                जुनि  करियौ  एहेन बेवहार
               
                       ...✍📷 मनीष झा 

कोई टिप्पणी नहीं