चलू चलू भौजी अय पोखरि कातमे
सामा गीत :
चलू चलू भौजी अय पोखरि कातमे
✍शिव कुमार झा "टिल्लू"
*********************************
चलू चलू भौजी अय पोखरि कातमे गायब सामा गीत
शाम्भक संग देखायब श्यामा बहिनाक इहलौकिक पिरीत
सामा - डिहुली गेली वृन्दावन
दुष्ट चुड़क लगेलक लांछन
जड़य ओ अभोगिया चुगला मंत्री नहि छल द्वापरयुगक पतीत ......
कान भरलक ओ हरि तातक
श्यामा बनि गेली चातक
सहचर चारुदत्त जी विह्वल भ' हेरलनि जीवनपथ मीत.....
लीन भ' क' केलनि शिवक तप
साफल भ' गेल साधक जप
आब सामा चकेबा दुनू पंछी बनि बेधल गगनक भीत .......
फेर शाम्ह नोरसँ कानल
ओकर तप रघुवर मानल
ई नहि सरल प्रेम अछि भाई बहिनक संगसंग वरणक जीत .....
हरियर शीशक नव कंगना
सामा बालिक मालक रचना
ई धनधान्य मात्र नहि दर्शन अप्पन भ'रल पूरल अतीत .....
जीवन अछि सिनेहक सरिता
भेली विजयी पवित्रा वनिता
रह' दिऔ मूरति आँगनमे दुनू चकतथि ब्रह्ममुहूर्तक शीत ....
शापसँ मुक्त श्यामा चकेबा
फांड़ भरल मधुर रस मेबा
जाउ जाउ जगतक बेटी जतहि रहब ओहिठाम धरा सुरभीत
गीतकार:- ✍शिव कुमार झा '"टिल्लू"
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं