अहमद रेज़ा के प्रेम कथा - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

अहमद रेज़ा के प्रेम कथा

अहमद रेज़ा के प्रेम कथा ,
अहमद जी

धनुषा जिल्लाक गा.बि.स.फुलगामा वार्ड 8 हाँसपट्टी के एकटा गरीब परिबार में जनमल अहमद एकटा साधारण एकटा नावयुबक अछि ,हुनकर जन्म 11गते फाल्गुन 2048 साल में भेल अछि ।शिक्षा के बात केल जाइ त ,प्राथमिक शिक्षा अपन गामक बिद्यालय से उतीर्ण केलक बाद माध्यमिक शिक्षा अपन परोशी गाम नगराईन से उतीर्ण केने छलाह ,ओहि लगायत उच्च शिक्षा जनकपुरक पब्लिक यूथ कैम्पस से केने छलाह । जखन अहमद 4 कक्षा पे पढ़ैत छल ओहि समय उनका अपने गामक एकटा सुन्दर लड़की स प्रेम भगेल ,मुदा ई प्रेम मन ही मन  में अबस्थित रहैया ,! लड़की बहुत पैग आ धनिक परिवार के भेला के कारण अहमद अपन मनक बात अपन मन में छुपा लैया !मुदा ओ लड़कीयो अहमद स प्यार आ मन पराबै से हुनकर एकटा दोस्त अजय के द्वारा मालूम भेला से ओ दोनों के बीच कुछ नजदीकी आ दोस्ती बहुत भ जाइत अछि ।आ दुनु गोटा एक दोसर स बहुत प्रेम करे लगैत अछि ,आ एक दोसर स एक छीन जुदाई एक महीना के बराबर बुझाय।ताहि हेतु ओ दुनु गोटे एक दोसर से बिना भेटघाट आ बिना बात चित के कोनो दिन नींद नै होइत छल ।अहमद ओ लड़की के अतेक प्रेम करैत छल की ओकर नाम परिबर्तन कके रेज़ा रैख देलक आ रेज़ा नाम से बहुत खुश छल ।रेज़ा आ अहमद के प्रेम लगभग 8 साल तक अतेक अटूट छल की एकटा मिसाल कायम करता ,।मुदा गरीबी के कारण अहमद के शिक्षा +2 से अधिक नै भ सकल ।अहमद के आर्थिक स्थिति कमजोर भेलाक कारण परदेश जाइ परल आ हुनकर प्रेम अधूरा रहिगेल ।मुदा रेज़ा के सुन्दरता के कारण ओकरा त हजारो प्रेमी मिल गेल ,लेकिन अहमद अखनो अकेला रेज़ा के नाम के साथ अपन जिनगी परदेशी के रूप में दोहा क़तार में बिताबैया ,

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷❤🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷


🌷🌷🌷🌷❤❤

कोई टिप्पणी नहीं