चैत पियाक याद सताबए - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

चैत पियाक याद सताबए

पसरल चैत पियाक याद सताबए






✍👤 नरायण मधुशाला

पसरल चैत पियाक याद सताबए
सखी हे वैशाख घामसँ देह कापए

जेठक राति बितैय जागि-जागि
असगर निनो टुटि जाई लागि-लागि
अखारक ओ बरसातमे छुपरछापर
साउनक सजधज लऽ गेल सावर
पिया बिनु हमरा निक ने लागए
पसरल चैत पियाक याद सताबए
सखी हे वैशाख घामसँ देह कापए

भादव अन्हारीयोमे जोहि-जोहि बाट
सगर रातिके हम तऽ कऽ देलौ परात
आसिनक ईजोरियोमे लागेनऽ तन-मन
कातिकक आकाशो दीप लगैय मुर्झायल सन
पसरल चैत पियाक याद सताबए
सखी हे वैशाख घामसँ देह कापए

गीतकार - नरायण मधुशाला जी 







💟💟💟💟💟💝💝💟💟💙🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी 
❤❤🌷💟❤🌷💟❤💓❤❤

कोई टिप्पणी नहीं