धनुषाधाममे १७ वर्षक बाद रामनाम महायज्ञके औपचारिक रुपमे भेल सुरु - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

धनुषाधाममे १७ वर्षक बाद रामनाम महायज्ञके औपचारिक रुपमे भेल सुरु

धनुषाधाममे १७ वर्षक बाद रामनाम महायज्ञके औपचारिक रुपमे भेल सुरु




अशोक कुमार सहनी ,दोहा कतार, अपन मिथिला /  बैशाख १९ गते ।  जनकपुरधाम,
धनुषाके ऐतिहासिक आ धार्मिक स्थल धनुषाधाममे १७ वर्षके बाद काल्हि सोमदिन एक कार्यक्रमके विच रामनाम धुनके औपचारिक रुपमे सुरुवात काएलगेल अछि । आय मंगलदिन उ महायज्ञके औपचारिक रुपमे हवन कुण्डके सुरुवात करैत औपचारिक रुपमे सुरुवात काएल जाएत बुझवामे आएल अछि । महायज्ञमे नेपाल आ भारतके चर्चित साधुसन्तसभ सहभागि रहल आयोजक जानकारी देलनि अछि । नेपाली बाबा प्रसिद्धि पौने परमतपस्वी सन्त चटटी वाबाके नाम सँ परिचित आत्मानन्द दास महात्यागीके अगुवाईमे भरहल महायज्ञ आबै वाल बैशाख २७ गते तक महायज्ञ हेत से आयोजक जानकारी देने अछि ।


भजन किर्तन आ धार्मिक कथा, प्रवचन, लेल एक हजार ८ मण्डप निर्माण केलगेल अछि  अछि तँ साधुसन्त आ श्रद्र्धालुभक्तजनके लेल अल्गे बासस्थानके व्यवस्था केने अछि से आयोजक जानकारी देने अछि । महायज्ञके मुख्य सन्त नेपाली बाबा विश्व शान्तिके लेल महायज्ञके आयोजना केने बतौलक । महायज्ञ के अर्थ  शान्ति अछि, उ कहलक–‘विश्व शान्ति, पृथ्वीके शान्ति, प्राकृतिके शान्ति सहित सबके शान्ति महायज्ञसे  प्राप्त हेत आयोजकके दावा अछि । 


महायज्ञमे दैनिक हजारौके संख्यामे नेपाल भारत सँ श्रद्धालुभक्तजनसभ आवि कँ अवलोकन करत से आश अछि । महायज्ञमे बहुत  गामक भजन किर्तन टोलीके सहभागि कराऔल जाँ रहल सहभागि श्री हनुमान आराधना युवक मण्डली करजा ५ के मंडली अध्यक्ष उमेश मंडल जानकारी देलनि अछि ।।



कोई टिप्पणी नहीं