छठि एली (मैथिली दुअरिया ) २ कि मिथिला नगरियामे हे - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

छठि एली (मैथिली दुअरिया ) २ कि मिथिला नगरियामे हे

छठि गीत : ( धुन : सोहर , ताल : दादरा )



✍शिव कुमार झा टिल्लू

*********************************************
छठि एली (मैथिली दुअरिया ) २ कि मिथिला नगरियामे हे
रामा आजु खरनाके दुपहरिया कि चलूने बजरियामे हे !
पसरल (फल अहिवात ) २ कि कात डगरियामे हे
रामा आबिगेली सोझाँ छठिमाय कि बैसि कहरियामे हे !
बूढ़ सूढ़ ( स्वर करताल ) २  कि सटल पमरियामे हे
रामा फलि गेल भगति रसाल कि नवल गुजरियामेमे हे !
मुदित (दिवाकर भाल ) २  कि रांगल सिनुरियामे हे
रामा रहि रहि चान मलाल कि सातम इजोरियामे हे !
सभतरि (छठि के मान ) २  कि ज्ञान बघरियामे हे
रामा भीजल पथ दिनमान कि अदरा फुहरियामे हे !


✍शिव कुमार झा 'टिल्लू'

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷❤🔵🔵🔵

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷❤❤🔵🔵🔵

कोई टिप्पणी नहीं