चलुमिता देशके छोडि परदेशके - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

चलुमिता देशके छोडि परदेशके

नव मैथिली गीत


एल्बम-"अहाँके याद"
स्वर-सन्नु कुमार आ भागवत
संगीत-शैलेन्द्र विश्वकर्मा
गीतकार-✍सरोज मण्डल

भागवत-चलुमिता देशके छोडि परदेशके
            मायके समाद आयल
            प्रियाके फरियाद आयल
            हमरा यौ मिता बहुते गामक याद आयल.....

सन्नु -   चलुमिता....

भागवत-चलु-चलु बुलाबैय मिथिला देशके माटि
            कतहुँ नै मिलत यौ मिथिलासन सँस्कृती
सन्नु   -आदर कदर भाव स्भाव अपन मिथिलामें
            एहन भाषा सँस्कृती कहाँ मिलत दुनियाँमें
            अोहिमाटिके सुआद आयल
            वरिषो बाद आयल
             हमरा यौ मिता बहुते गामक याद आयल....

सन्नु     -मोन परैय गामक पोखरि खेतक हरियाली
             पिपर गाछक ठंढा हवा गर्मी बैसाखी
भागवत-भोर भिंसर कुहुकैत कोइली खेतक अोर किसान
           सूर्य किरण सँग मुश्कैय कमला कोषी बलान
           दिलमें खिआल अायल
           खिआल अजाद आयल
           हमरा यौ मिता बहुते गामक याद आयल......

.✍शरोज मण्डल

कोई टिप्पणी नहीं