समस्तीपुर केर मैथिल युवा लेखक अमित मिश्रा केँ भेटलनि “महेश्वर सिंह महेश ग्रन्थ” सम्मान
समस्तीपुर केर मैथिल युवा लेखक अमित मिश्रा केँ भेटलनि “महेश्वर सिंह महेश ग्रन्थ” सम्मान
अपन मिथिला । रविदिन चेतना समिति पटना द्वारा आयोजित तिरसठिम विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मे मिथिलाक उभरैत युवा लेखक अमित मिश्रा केँ हुनक स्वलिखित बाल पोथी “अंशु बनि पसरि जाएब” केर उत्कृष्ट रचनाक लेल एहिबेर “महेश्वर सिंह महेश ग्रन्थ” सम्मान सँ सम्मानित कएल गेलनि। अमित केर उमरि मात्र 23 बरख केँ भेलैन्ह एहि मुदा मैथिली मे लेखनि मे धार एखनहि सँ देखा लगलनि एहि। अमित केर एहि पोथीक रचनाक लेल विराटनगर,नेपाल में पैछला बरख सेहो सम्मान भेट चुकलनि एहि। नन्ने सँ मेधावी अमित स्नातक (गणित) सी.एम कॉलेज सँ कएने छथि आ वर्तमान मे अपने गाम मध्य विद्यालय करियन मे बतौर शिक्षक केर रूपमे कार्यरत छथि।
हिनक प्रकाशित कृति मे नव अंशु (मैथिली गजल) सेहो शामिल अछि। हिनक बहुत रास रचना मैथिली आ हिन्दी पत्र-पत्रिका आ अखबार मे भए चुकल अछि आ वर्तमान सेहो जारी अछि। एखन वर्णमाला श्रृंखला मे अ सँ ज्ञ धरि केर लेल बाल पोथी’क नव रूप देबा मे लागल छथि जेकर नाम थीक “आखड़ नचाबए बौआ नाचए।
हिनक पोथीक किछु मनमोहक रचनाक अंश :-
हिनक पोथीक किछु मनमोहक रचनाक अंश :-
छुटि गेलै बदमाशी
रामू खरहा गुल्लू गदहा
आगू नाथ ने पाछू पगहा
खेलै जा क’ गाछी जी
खूब करै बदमाशी जी
खेलै जा क’ गाछी जी
खूब करै बदमाशी जी
संतुलित आहार
चाट समौसा चाउमिन छोड़ू
साफ-सफाइ सँ नाता जोडू
बासी गन्दा करय बेमार
नित लिअ संतुलित आहार
साफ-सफाइ सँ नाता जोडू
बासी गन्दा करय बेमार
नित लिअ संतुलित आहार
छुटकू बाबू
खूब करै छै घिच्चम-तिर्री
फाटलै पन्ना चिर्री-चिर्री
के आनलकै एकरा आइ
छुटकू बाबू तिख मिरचाइ
फाटलै पन्ना चिर्री-चिर्री
के आनलकै एकरा आइ
छुटकू बाबू तिख मिरचाइ
- अमित मिश्रा
आभार:- मिथिला दर्शन.न्यूज
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷


कोई टिप्पणी नहीं