उगु उगु उगु भेल बेर दीनानाथ (छठि गीत) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

उगु उगु उगु भेल बेर दीनानाथ (छठि गीत)

उगु उगु उगु भेल बेर दीनानाथ


✍अमित पाठक

दीनानाथ
उगु उगु उगु भेल बेर
दीनानाथ............

छँटि गेल रातुक स्याह अन्हारे
चुन-मुन चिड़ंईक टेर
दीनानाथ.............

जल बिच ठाढ़ करए सब सुमिरन
कर जोड़ि जेड़क-जेड़
दीनानाथ.............

हाथ उठाओल कएल वरतिया
नियम डेबल जत् भेल
दीनानाथ.............

अर्घक लगन बितए हे दिनकर
करब कतेक अबेर
दीनानाथ..............

रहि गेल अविध-सविध हम मानल
क्षमब हे प्रभु त्रुटि लेल
दीनानाथ...............

                                   गीतकार ✍ अमित पाठक

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷👇
पोस्ट:-अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷



🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं