मैथिली हृदयमे गीत परान - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मैथिली हृदयमे गीत परान


मैथिली ह्रदयमें गीत परान

✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
**************************************
देसिल वयना  जेना दिनमान
मैथिली हृदयमे गीत परान
गुनिगुनि मधुरी धुनमे गान
जाधरि जीबैत रहबै ना !
अप्पन भाषा तखने मान
जेना लालीलेल मुख पान
एकरा बिनु ई ज्ञान अकान
एहि सुरधारमे बहबै ना !
जगतक सभसँ मिठगर भास
रहतै एहिभाषा के उजास
कतबो राकस करत हहास
मैथिली कंठसँ कहबै ना !
विद्यापति सौन्दर्यक राग
परिछन डहकन हमरे भाग
जट-जटिन लोक धुनक पराग
अपन फुलबारी महबै ना !
शिव कणकणमे बसि वैदेही
केलथि उसरठ मोन सिनेही
प्रतिक्षण   मैथिली गीतक गेही
हँसिते  दुःख सुख  सहबै ना !

गीतकार ✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"


 ❤❤❤❤❤❤❤❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤👤❤❤❤👤👤




⚡⚡⚡

कोई टिप्पणी नहीं