मैथीली छथि मिथिला के मान - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मैथीली छथि मिथिला के मान

💐मैथीली छथि मिथिला के मान 💐


✍👤डॉ. संजीत झा "सरस" 

---------------------------------------------------
अज्ञान तमस स लिप्त मनस में 
जागल अछि जिज्ञासा ।
किया विकल छथि अपनहि घर में
मधुर मैथिली भाषा ।।१।।

मधुर अहाँ के दिवस देखि क
हमरो जागल मन में आश ।
हमहुँ पुत्र अहीं के मैथिली
हम्मर शान्त करू जिज्ञास ।।२।।

शान्त करू जिज्ञासा
मन अछि बहुते व्याकुल ।
अहाँ किया छी शान्त 
यदि हम एत्तेक आकुल ??३??

आ की देखि दुर्दशा घर में 
बंद अहाँ के भेल बकार ?
जिनका पाललौं पोसलौं वैह सब
रखलनि नै कोनो सरोकार ??४??

की करबै कलियुग अछि जननी
सबटा ओकरे कैल तमाशा ।
अंग्रेजी पढ़ि सब भेल विलायती
बिसरल अप्पन माय के भाषा ।।५।।

गर्भहि स जे भाषा सुनलक
तकरा लोक कोना के बिसरल ?
हमरा जनैत हे मधुरा वाणी
ताईं अप्पन मिथिला अछि पिछड़ल।।६।।

पलला बढला जे मिथिला में
तिनको दिल्ली बम्बई आशा ।
अंग्रेजी हिन्दी अछि पसरल
बिसरल सब आई अप्पन भाषा ।।७।।

ओ भाषा जे मधुर सरल अछि
जै में प्रेमक रंग भरल अछि ।
मातृगर्भ स निकलल शिशु के
जाहि भाषा क्रन्दन निकलल अछि ।।८।।

ओहि भाषा के मान नै घर में
माय बापक सम्मान नै घर में ।
धिया पुता हिंगलिश बाजै छथि
मैथिली के अपमान अछि घर में ।।९।।

आग्रह हमर हे मैथिल प्रियजन 
रहू ओतै जतय वृत्तिक आशा ।
दिल्ली कलकत्ता बम्बई रहितो
घर में बाजू अप्पन भाषा ।।१०।।

कहथि सरस कर जोरि सुनै जाउ 
अपनहि भाषा स पहचान ।
धन मैथिली जे हम सब मैथिल
हुनकर नै करियौन अपमान ।।११।।

हुनकर नै करियौन अपमान 
आबो करू हुनकर सम्मान ।
घर घर गूँजथि भाषा अप्पन
मैथिली छथि मिथिला के मान ।।१२।।

मैथिली छथि मिथिला के मान ।
मैथिलीये मिथिला के जान ।।👏👏।।
                    
                    लेखक ..✍👤 डॉ. संजीत झा "सरस"
                            (२१/०२/२०१७)


💝💝💝💝💚💙💙💝💝💝
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💗💗💗💗💗💗💗💗💗💗





🚩🚩🚩

कोई टिप्पणी नहीं