चेहरा बदलि सकैछौ,तोहर चालि नहि बदलतौ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

चेहरा बदलि सकैछौ,तोहर चालि नहि बदलतौ

💐चेहरा बदलि सकैछौ,तोहर चालि नहि बदलतौबदलतौ 💐




✍👤 प्रवीण नारायण चौधरी

_  _   _  _  _  _  _
चेहरा बदलि सकैछौ,तोहर चालि नहि बदलतौ
घोघो बदलि सकैछौ,तोहर बानि नहि बदलतौ॥

जखनहि श्रृङ्गार ककेँ चले तो बजार गे
कनखी सिटी मारैछौ दिवाना हजार गे
मेकअप बदलि सकैछौ,स्टाईल नहि बदलतौ
चेहरा बदलि सकैछौ,तोहर चालि नहि बदलतौ. . .

टूटल तोहर नशा गै,फेर की देखी हम तोरा
चिन्हलहुँ तोहर अदा गै,घायल भेल प्राण मोरा
बोलियो बदैल सकैछौ, स्माईल नहि बदलतौ
चेहरा बदलि सकैछौ,तोहर चालि नहि बदलतौ. . .

एक बेर नहि हम,कैक बेर गीत तोरे गेलियौ
संग तोहर पयबा लेल,दुनिया सँ दूरो भेलियौ
नियत बइमान तोहर,प्रोफाईल नहि बदलतौ
चेहरा बदलि सकैछौ,तोहर चालि नहि बदलतौ. . .

गीतकार -कवि, प्रवीण नारायण चौधरी

कवि- प्रवीण नारायण चौधरी जी 








💚💚💚💚💚💚🎼💚💚💚💚💚💚💚
पोस्ट :-अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤🎼🌷🌷❤🌷🌷❤❤


कोई टिप्पणी नहीं