भारतके साथ इन्धन सम्झौता नवीकरण भेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

भारतके साथ इन्धन सम्झौता नवीकरण भेल

भारतके साथ इन्धन सम्झौता नवीकरण भेल 



अशोक कुमार सहनी ,दोहा कतार,अपन मिथिला ,चैत्र–१५गते,नेपाल आ भारतबिच इन्धन आपूर्ति कर्वाक सम्बन्धी सम्झौता पाँच वर्षके लेल नवीकरण भेलअछि । आपूर्ति मन्त्री दीपक बोहरा आ भारतीय पेट्रोलियम तथा प्राकृतिक ग्यास मन्त्री धर्मेन्द्र प्रधानके उपस्थितिमे सोमदिन नयाँदिल्लीमे नवीकरण सम्झौता भेलअछि । 
आपूर्ति मन्त्रालयके सहसचिव सूर्य प्रसाद श्रेष्ठके अनुसार नवीकरण सम्झौतानुसार आब नेपालके माग बमोजिमके इन्धन भारतीय आयल कर्पाेरेसन (आइ ओ सी) उपलब्ध कराओत । 
नेपालके उपलब्ध कराओलऽजायबला इन्धन अखनके तुलनामे नेपाल–भारतसीमा सुनौली आ वीरगन्ज क्षेत्रसँ नजदिक सुविधा सम्पन्न आ बडका डिपो रख्वाक आ ओयसँ नेपालके वार्षिक रुपमे एक अर्ब रुपैयाँ सँ बेसी रकम बचत होएवाक ओ जानकारी करौलनिअछि ।
भारतसँ नेपालके इन्धन उपलब्ध बराब बापत प्राप्त करबला नाफाके सीमा शून्य दशमलव पाँच प्रतिशत घटाब मन्जुर कएनेअछि । ओयसँ नेपालमे लाओलऽजायबला इन्धन आपूर्तिके लागत अखनके तुलनामे कम ह्यात । नेपाल आ भारतबिच इन्धन आयात कर्वाक सम्बन्धमे सहमतिमे जायके लेल समस्या भेलापर तेसर पक्षके मध्यस्थताके स्वीकार कर्वाक विषय सेहो सम्झौतामे परल उल्लेख अछि । 
नेपाल भारतसाथे वार्षिक रुपमे एक खर्ब रुपैयाँसँ बेसी मूल्यके इन्धन आयात करति आएलअछि । नेपाल आ भारतबीच रक्सौलसँ अमलेखगन्जधरि पेट्रोलियम पदार्थ पाइपमार्फत उपलब्ध करैवाक सहमति भेलअनुसार काज आगा बढिरहलअछि । इन्धन सम्बन्धी सहमतिक लेल नेपाल आयल निगमके टोली रबिदिन नयाँ दिल्ली पहुँचलअछि ।

💗💗💗💗💗💗🚩💗💗💗💗💗
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💝💝💝💝💝💝🚩💝💝💝💝💝


कोई टिप्पणी नहीं