शिव हो करियो हमर दुःख हरण (मैथिलि भक्ति गीत) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

शिव हो करियो हमर दुःख हरण (मैथिलि भक्ति गीत)

शिव हो करियो हमर दुःख हरण (मैथिलि भक्ति गीत)




✍👤प्रयास प्रेमी "मैथिल"

बाबा हो एलौं हम अहाँ के शरण
शिव हो करियो हमर दु:ख हरण

नितदिन महेश्वर अहाँकs पुजलौं
वेलपत्र, गंगाजल हम सेहो चढेलौं
हरदम रहैछी हम अहीँमे मगन
शिव हो करियो .....  .......  .......

हे डमरूवाला गौरीपति शंकर
सुनु हे जटाधारी विपती हमर
अहाँके चरणके हमरा लागल लगन
शिव हो करियो .....  .......  .......

कहै य प्रयास सुनु हे भोलेदानी
ल'लिय शरणमे आउर किछु नै जानी
अर्पण क'देब हम अपन जीवन
शिव हो करियो .....  .......  .......
सौजन्य सौ....

✍👤प्रयास प्रेमी मैथिल


लेखकः- प्रयास प्रेमी "मौथिल जी








👃⚡👃⚡👃⚡👃👃⚡👃⚡👃⚡
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤💝❤💝❤❤💝💝❤💝❤💝❤


कोई टिप्पणी नहीं