पहल नेपाल नामक संस्था केलक आर्थिक सहियोग हस्तान्तरण - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

पहल नेपाल नामक संस्था केलक आर्थिक सहियोग हस्तान्तरण

पहल नेपाल नामक संस्था केलक  आर्थिक सहियोग हस्तान्तरण



अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/ चैत,१७ गते, गर्जाहा, बरहथवा-८, सर्लाही रहिनिहार आठ गो बेटी आ एक बेटा के माई रामकली देवी साह के आय 'पहल नेपाल' (Pahal Nepal) द्वारा नेपाली रूपैया. सत्तर हजार (७०,०००/-) सहयोग राशी हस्तान्तरण केने छैथ। बहुत सहयोगी हातसब सँ संकलन भेल उ सहयोग राशी पहल नेपालके सर्लाही जिल्ला संयोजक संजीव यादव आ स्थानीय गाउँवासीके उपस्थितिमें पहल नेपालके संयोजक सरोज राय जी हस्तान्तरण केने अछि।

कुछ दिन पहिले गर्जाहा, सर्लाही रहिनिहार आठ गो बेटी  आ एक बेटा के माई रामकली देवी साहके दुःख वारे में सब कोई के जानकारी करौने छेल। पति के आकाल मृत्यु बादः ई  परिवारके दैनिक गुजारा बहुत कठिन भरहल आ ऋणमें रहल आठ कठ्ठा जमीन छोइड और आमदिनी के लेल एकटा छोटका किराणा दुकान खोलैके लेल करिव दुई लाख रूपैया सहयोगके लेल अपिल केने छेल  आ बहुत कोई सहयोग करै के वचन सेहो केलक मुदा अखून तक मात्र सतर हजार सहयोग रकम जम्मा भेल अछि । वाकि सहयोग राशीके लेल फेर अपिल सब सँ केने अछि पहल नेपाल संस्था ।

सरोज राय
संयोजक, पहल नेपाल

नोट: एहि परिवार के वारे पुरा जानकारी आ बैंक खाताके लेल पुरनक  facebook पोष्ट देखु एहि लिंकपर 👇

https://m.facebook.com/story.php?story_fbid=1553729427989682&id=100000579186260


#SRSocialPost #EightDaughters #Family


🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🚩💚💚💚💚💚💚💚
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤🎼❤❤⚡❤❤⚡❤

कोई टिप्पणी नहीं