संस्कॄति-संस्कारक गौरव, वितान हमर मैथिली - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

संस्कॄति-संस्कारक गौरव, वितान हमर मैथिली

संस्कॄति-संस्कारक गौरव, वितान हमर मैथिली




.✍👤भास्करानंदन झा भास्कर
राम - शक्ति अनुसंधान, महान हमर मैथिली 
जीवन - दर्शन ज्ञान, अभिमान  हमर मैथिली 

मधु- मिसरी सानल बोल महमह बड्ड अनमोल 
माछ- पान -मखान, छी पहिचान हमर मैथिली

अति उन्नत मन-मस्तिष्क ज्ञान रक्ताभ क्षितिज 
संस्कॄति-संस्कारक गौरव, वितान हमर मैथिली

विद्यापति -मंडन -सलेस,चंदा -लोरिकक देश
महिमा गानक अनुतान, बखान हमर मैथिली

जन जन पूजित जानकी  मातृभाषा प्रेम अगाध 
हरित-भूमिमे उगल, हरखक धान हमर मैथिल

ब्राह्मण क्षत्रिय वैश्यक माथा पागक छी उदघोष 
बाजए  चमार पासवान मुसलमान हमर मैथिली

..✍👤भास्करानंद झा भास्कर


कवि - भास्करानंद झा भास्कर जी

कोई टिप्पणी नहीं