कतारमें बनिरहल मकान के छत गिरल स ३ गोटेके मौत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

कतारमें बनिरहल मकान के छत गिरल स ३ गोटेके मौत

कतारमें बनिरहल मकान के छत गिरल स ३ गोटेके  मौत



अशोक कुमार सहनी, दोहा/क़तार, अपन मिथिला / जेठ ३ - कतारमें  बैन रहल मकान के छत गिरला से  नेपाली सहितके कामदारसब के मौत भेल अछि । दोहा सहर से करीब १५ किलोमिटर उत्तरम उम्सलाल अलिमें रहल सेनाके मकान के छत मंगलदिन गिरला से नेपाली सहित ३ गोटे के  मौत भेल कतारके रक्षा मन्त्रालय वक्तव्य मार्फत जानकारी करौने अछि ।

 दोहा न्युज तीन गोटे के मौत भेल  से लिखने अछि । कतार स्थित नेपाली दूतावास के मुताबिक १ टा नेपालीके मौत भेल आ १  गोटे के चोट लागल जानकारी देने अछि । दूतावासके अनुसार "चिनक मल्लाह के मौत भेल आ  गंगाराम चौधरी के चोट लागल अछि। 

मुदा छत के नीचा में अखुन तक कतेक नेपाली परल अछि  उल्लेख नै केने अछि । दुर्घटनामें इन्डियन आ फिलिपिके कामकरै वाल बेशी परल से जानकारी देने अछि । ओकरा सब के इलाज भैरहे आ मौत भेल सब के परिवारके उचित क्षतिपूर्ति देब से रक्षा मन्त्रालय जानकारी देने अछि । 

अलबन्दरी कन्स्ट्रक्सन कम्पनीमें काम करैवल नेपाली सहितके कामदार दुर्घटनामें मोर अछि । ई कम्पनीमें बहुत नेपाली काम करहल अछि क़तार में रहल मानव अधिकार समिति कतारके नेपाली प्रतिनिधि रमजान अलि मियाँ जानकारी देने अछि । 

घटनाके बाकी  विवरण अखुनो नै ऐल अछि  । 

कोई टिप्पणी नहीं