राजपा नेपाल काल्हि उम्मेदवारी नै देत, ओपेन्द्र यादबके संघीय समाजवादी फोरम लेत चुनावमें भाग
राजपा नेपाल काल्हि उम्मेदवारी नै देत, ओपेन्द्र यादबके संघीय समाजवादी फोरम लेत चुनावमें भाग
अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला /
१८ बैशाख, । मधेसी मोर्चामें आवद्ध ६ दलद्वारा गठित राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल बैशाख ३१ के निर्वाचन प्रक्रियामें भाग नै लेत से जानकारी ऐल अछि । उ काल्हि हुवेवला उम्मेदवारी दर्ता प्रक्रियामें अपन सहभागिता नै रहत बतौने अछि ।राजपा नेपालके अध्यक्ष मण्डलके सदस्य शरतसिंह भण्डारी कहलक , ‘संविधान संशोधन नै भेल तब तक चुनावमें सहभागी नै हेब से कहीचुकल छी ।’
नेता लक्ष्मणलाल कर्ण पहिल का बेरी चुनावके लेल हम सब तयारी नै रहल कहलक।
दलीय हैसियतमें चुनावमें सहभागी नै भेल तैयो हमरा सब के कोनो बिरोध नै हेत राजपा नेपालके नेतासब कहने अछि। स्रोतके अनुसार कोनो कोनो ठाम ओकर नेतसब स्वतन्त्र उम्मेदवार बैन सकै य ।
संघीय फोरम मुदा उम्मेदवारी देते
उपेन्द्र यादव नेतृत्वके संघीय समाजवादी फोरम नेपाल उम्मेदवारी दर्ता करब से कहने अछि । हमर पार्टी काल्हि उम्मेदवारी दर्ता प्रक्रियामें सहभागिता भाग लेत फोरम अध्यक्ष उपेन्द्र यादव जानकारी देने अछि।
सोमदिन साँझ प्रधानमन्त्रीसँगे अकेले भेट में फोरमके नेतासब हम सब उम्मेदवारी देब बतौने अछि । सहअध्यक्ष राजेन्द्र श्रेष्ठके अनुसार सरकार संविधान संशोधन प्रक्रिया आगू बढ़ाचुकल हम सब सन्तुष्ट छी कहैत चुनावमें भाग लैकेलेल तयार छी से जानकारी देने अछि ।
बैशाख ३१ गते हुवेबला स्थानीय तह चुनावके लेल काल्हि भोर के १०बजे से ५ बजे तक उम्मेदवारी दर्ताके समय देने अछि निर्वाचन आयोग ।
संघीय फोरममें डा. बाबुराम भट्टराई नेतृत्वके नयाँ शक्ति पार्टीसगे चुनावी तालमेलके सहमति कचुकल अछि आ दुनू पार्टी साझा चुनाव चिन्ह ‘मसाल’से लाइड रहल अछि । कहित मसाल चुनाव चिन्ह फोरम आ नयाँ शक्ति दुनु के चिन्ह अछि /

कोई टिप्पणी नहीं