भारत देलक निर्वाचनके लेल ८ करोड ९० लाख रुपैयाँ बराबर के ८६ टा गाडी - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

भारत देलक निर्वाचनके लेल ८ करोड ९० लाख रुपैयाँ बराबर के ८६ टा गाडी

भारत देलक निर्वाचनके लेल  ८ करोड ९० लाख रुपैयाँ बराबर के ८६ टा गाडी




अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला / बैशाख ,१८ गते - नेपाल में भरहल स्थानीय निकायके चुनावमें  भारत  नेपाल के विभिन्न किसिमके गाड़ी सहयोग प्रदान केने अछि । निर्वाचन आयोग नेपाल के परिसर में आय आयोजना केने एक समारोह के बीच भारतीय राजदूत मंजीव सिंह पुरी  मुख्य चुनाव आयुक्त डॉ. अयोधीप्रसाद यादव के उ  ८६ टा गाड़ी देने अछि ।

नेपाल सरकार के अनुरोध पर भारत सरकार  निर्वाचन आयोग नेपाल के ३५ डबल केबिन पिकअप, ७ स्कॉर्पियो जीप्स, ४ सेडन कार, १ एक्सयुभी कार, १ मिनी बस, १ माइक्रोबस, ३० पल्सर मोटरसाइकल आ ७ स्कूटर सहयोग स्वरुप प्रदान केने अछि । ई सब गाडी के जम्मा राशि ८ करोड़ ९० लाख नेपाली रुपैया अछि ।



ओहि अवसर में भारतीय राजदूत मंजीव सिंह पुरी  भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ नेपाल के प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचंड’ के बीच बीतल हप्तमें बातचीत भेल से  जानकारी देने छेल। उ कहलक कि नेपाल में शान्ति, राजनीतिक स्थिरता आ आर्थिक–सामाजिक रुपान्तरण के लेल भारत सहयोग करै के लेल तैयार अछि।

ओहि समाहरोह में  नेपाली जनता के लोकतांत्रिक आकांक्षाके पूर्ति लेल भारत द्वारा निरंतर सहयोग उपलब्ध करबैंके जानकारी सही राजदूत मंजीव सिंह पुरी देने छेल । बहुत पहिले से भारत, नेपाल में शिक्षा, स्वास्थ्य, सड़क, विजली, भौतिक पूर्वाधार सहित और क्षेत्रों में सहयोग करैत आरहल  अछि। दोसर  संविधान सभा चुनाव के समय में सेहो भारत  निर्वाचन आयोग के ४८ टा अस सुरक्षा निकाय के  ७१६ गाड़ि सहयोग स्वरुप प्रदान केने छेल । आ और बहुत शैक्षणिक संस्थान, स्वास्थ्य संस्था आ  विभिन्न संस्था ने में ६०२ एम्बुलेन्स अस ११८ बस सहयोग स्वरुप प्रदान क्चुकल अछि  ।
         







कोई टिप्पणी नहीं