पीबू'ने दूधू घुटूस ! ( बाल गीत )
पीबू'ने दूधू घुटूस ! ( बाल गीत )
✍👤शिव कुमार झा टिल्लू
*******************************************
चान कहै सुनियौ पुटूस
हे बौआ ,पीबू'ने दूधू घुटूस !
मायक कोरामे खेलू सगुनियाँ
अंगनामे आबै छै नूनू'के निनियाँ
देखू'ने बूलि रहल मूस
हे बौआ ,पीबू'ने दूधू घुटूस !
मैना'के बौआ हे खोंता'मे सुतलै
झटपट पीबि लिय' कते राति बितलै
कीनि देब भोरे लबनचूस
हे बौआ ,पीबू'ने दूधू घुटूस !
अगिला बरिस'सँ हे इसकूल पठायब
जे जे कहबै टिफीन'मे बनायब
चारिपूरि जायत एहि पूस
हे बौआ ,पीबू'ने दूधू घुटूस !
✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
✍👤शिव कुमार झा टिल्लू
*******************************************
चान कहै सुनियौ पुटूस
हे बौआ ,पीबू'ने दूधू घुटूस !
मायक कोरामे खेलू सगुनियाँ
अंगनामे आबै छै नूनू'के निनियाँ
देखू'ने बूलि रहल मूस
हे बौआ ,पीबू'ने दूधू घुटूस !
मैना'के बौआ हे खोंता'मे सुतलै
झटपट पीबि लिय' कते राति बितलै
कीनि देब भोरे लबनचूस
हे बौआ ,पीबू'ने दूधू घुटूस !
अगिला बरिस'सँ हे इसकूल पठायब
जे जे कहबै टिफीन'मे बनायब
चारिपूरि जायत एहि पूस
हे बौआ ,पीबू'ने दूधू घुटूस !
✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"

कोई टिप्पणी नहीं