💘बीप्रेक ( बीहनि प्रेम कथा ) 💞 सिनेह - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

💘बीप्रेक ( बीहनि प्रेम कथा ) 💞 सिनेह

💘बीप्रेक ( बीहनि प्रेम कथा ) 
                               💞  सिनेह
✍👤वी०सी०झा"बमबम"

एंऽ गऽइ तोरा सब कैंऽ एखन धड़ि तैयार नहि भऽ भेलहु ? वरसाइत पूजनिहारि सभ जाइतो गेलय , बड़क गाछ तर कि आब जगहो भेटतहु सभ पहिने जगह छेक लेने हेतहु ? 
रानी तों तखन सऽ घर मऽ कि करैत छहि गऽइ एखन धरि तोहर श्रींगार पूर्ण नहि भलहु अछि ? आंय ? लालकाकी बाजि उठलि ! 
~ हँ काकी हइया हमरा भऽ गेल - - आब कने भउजी कऽ सेहो ने - - - - !
तों दुनू ननदि - भाउज भोरहिं संऽ ओरियौन मऽ लागल छंऽ आ पहर दिन बितल जाइत छहि आ तोरा सब केंऽ सजब - संबरब  कऽ अंते नहि लैत छउ ?
आ हम सब किछु ओरियौन कऽ केंऽ तोरा सब कैऽ कथा सूनबय  द्वारे एक पहर संऽ बैसल छी एतय तोहर सबहक लिला तऽ कहले ने जाय ?
कि घर संऽ भउजी'क  मध्यम स्वर बहरेलन्हि आब कि सब दिन हिनके सब कैंऽ  समय रहतन्हि कि ? एखनो धरि कक्का'क सिनेह मानल नहि जाइत छैन्हि सब संऽ पहिने  बियैनि  आ सिंनुरिया आम डाली मऽ ल'क तैयार रहैत छथि ।
आ हमरा सब कैंऽ - - - - ! हम सब त एखन नव छी नेह उचिते छैइक ने ?
लालकाकी  ~ तखन नेहियाति रहु नहु - नहु - - - - हमरा कि ?

✍ वी०सी०झा"बमबम"
                                 कैथिनियाँ

लेखक - वी०सी०झा"बमबम" जी



कोई टिप्पणी नहीं