आम लेने जइहे, लताम लेने जइहे - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

आम लेने जइहे, लताम लेने जइहे

आम लेने जइहे, लताम लेने जइहे,


..✍👤 श्री श्याम शेखर झा


आम लेने जइहे, लताम लेने जइहे,
बौआलेल हमरा, तूँ गाम लेने जइहे ।
निहोरा तोरा कोईली ई काम कैने जइहे,
कामके बदलामे दाम लेने जइहे ।
आम लेने जइहे, लताम..

बौआके देखयला मोन बड्ड होइय,
बौआलेल सनेस तमाम लेने जइहे ।
किनल खेलौना, तामझाम लेने जइहे,
थाकि जखन जइहे, आराम कैने जइहे ।
आम लेने जइहे, लताम लेने......

नहि छी आराममे, बाझल छी काममे,
सनेह हमर प्रेम, ईनाम लेने जइहे ।
दुखक दिन नहि रहतैक सबदिन,
कोरालेब बौआके नाम लेने जइहे ।
आम लने जइहे, लताम.....

बड़का सबलेल परनाम लेने जइहे,
बौआ सबलेल राम राम लेने जइहे

आम लेने जइहे, लताम लेने जइहे,
बौआलेल हमरा तूँ गाम लेने जइहे ॥॥

✍👤श्याम शेखर झा 
कवि ,श्याम शेखर झा


कोई टिप्पणी नहीं