आई भेल अर्घाखाँची में जीप दुर्घटना ११ गोटे के मौत भेल अछि - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

आई भेल अर्घाखाँची में जीप दुर्घटना ११ गोटे के मौत भेल अछि

आई भेल अर्घाखाँची में जीप दुर्घटना ११ गोटे के मौत भेल आ ६ गोटे घायल


अपन मिथिला १२ गते भदौ, सन्धिखर्क । अर्घाखाँचीके हंसपुर-५ रतनमारेमें रैबदिन दुपहर के जीप दुर्घटना भेल आ ११ गोटे के मौत भेल छैय । दुर्घटनामें घायल भेल ६गोटे में   चाइर गोटे आँखिन कोमा में अछि  ।

अर्घाखाँची  सन्धिखर्क सँ प्यूठानके बाँदिकोट जारहल  ग १ ज ४८७८ नम्बरके जीप दुपहर सवा तीन बजेके टाइम में रतनमारे बजार नजदिक पोष्टापाटके भीर सँ करिब सात सय मिटर निचा खसल छेल।

मौत भेल सब हंसपुर गाविसके छैय । हंसपुर गाविस-४ के ३५ वर्षीके मिनबहादुर केसी, हंसपुर-१ के ३६ वर्षीके देवबहादुर थापामगर, हंसपुर-५ के ४५ वर्षीके हुमबहादुर घर्तीमगर, हंसपुर-२ के ४५ वर्षीके रामबहादुर घर्तीमगर आ धारापानी-६ अर्घाखाँची ३६ वर्षीकी कमला पौडेलके मौत भेल प्रहरी जानकारी करैलक।

अर्घाखाँचीके सन्धिखर्क नगरपालिका-११ किमडाँडाके नारायणबहादुर राना, सन्धिखर्क नगरपालिका-२ रहैवाल ३२ वर्षीकी सीता नेपाली, गुल्मीके पुर्कोटदह-८ के ५९ वर्षीय भेषबहादुर थापामगर, पुर्कोटदह-४ गुल्मीके ३७ वर्षीके जिवबहादुर कुँवर, गुल्मी भनभने-१ के ५९ वर्षीके बुद्धिबहादुर परियार आ प्यूठान बांगेमरोठ ८ के ६८ वर्षीकी शोभा सिंह रोकामगरके सब के दुर्घटनामें मौत भेल प्रहरी निरीक्षक सुजनकुमार राजभण्डारी जानकारी देलक ।

कमला पौडेल आ जिबबहादुर कुँवरके उपचारके टाइम में जिल्ला अस्पतालमें आ और के घटनास्थल भेल ठाम में मौत भेल छेल ।

घायल प्यूठान बाँदिकोटके जिबलाल पोख्रेल, सन्धिखर्क नगरपालीका-१ अर्घाखाँचीके अर्जुन खनाल, खन-७ अर्घाखाँचीके सुरज खनाल आ पुर्कोटदह-४ गुल्मीके यमलाल कुँवरके सन्धिखर्क जिल्ला अपस्ताल अर्घाखाँचीमें उपचार नै भेला सँ और उपचारकेलेल  बुटवल रिफर केलक जिल्ला प्रहरी कार्यालय अर्घाखाँचीके प्रहरी नायव उपरीक्षक नवरत्न पौडेल  जानकारी देलक ।

धारापानी-६ की मुना पौडेल आ धारापानी-६ के कविता पौडेलके  जिल्ला अपस्ताल अर्घाखाँचीमें उपचार भरहल छैय।

गाडी ड्राइबर के प्रहरी पकैड के राखने अछि ।

जीपमें तीन गोटे बच्चा आ जवान सब १९ गोटे यात्रु चढल छेल। उचाई में जीप के  ब्रेक फेल भके दुर्घटना भके से  बतारहल छै ।

घटनास्थल अर्घाखाँची सदरमुकाम  सन्धिखर्क सँ  ३० किलोमिटर पश्चिममें छैय ।

✍अशोक कुमार सहनी

कोई टिप्पणी नहीं