टाका खातिर बैरी भेल अपन - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

टाका खातिर बैरी भेल अपन

आँखिसँ  आँखि  मिलान  करैए
सोन    समैया   जियान   करैए

टाका खातिर  बैरी  भेल अपन
मदति त'   अनके  आन  करैए

हरियर  खेत  मुरखहबा  बलसँ
देखू   फुटानी  विदवान   करैए

एसगर   लहास   कान्हपर   नेने
देखियो सत्ता छाती पषाण करैए

मौसम  केहनो  सीमापर   गश्ती
ओ   अपटी   खेतमे  जान करैए

मैथिलीकेँ  नञि आओर  सेहेंता
मिथिला   परजे   गुमान    करैए

~> ✍ मैथिल प्रशान्त
  दुर्गौली, बेनीपट्टी ।

कोई टिप्पणी नहीं