9MM ऑटो पिस्तौल आ बुलेट के साथ २गोटे पक्राउ परल अछि - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

9MM ऑटो पिस्तौल आ बुलेट के साथ २गोटे पक्राउ परल अछि

9MM ऑटो पिस्तौल आ बुलेट के साथ २गोटे पक्राउ परल अछि



✍अशोक कुमार सहनी
अपन मिथिला, लहान । आसोज ४गते - ईलाका प्रहरी कार्यलय मिर्चैया अटो पेस्तोल आ बुलेट साथ में २ गोटे के पक्राउ केने अछि । सोमदिन करिब ६ बजेके टाइममें जिलला सिरहा मिर्चैया न.पा. वडा नं.–१ के आम गाछी में कोनो अनचिन्हार आदमीसंगे गैर  हातहतियार अछि कहैत विशेष सुचनाके आधारमें ईलाका प्रहरी कार्यलय मिर्चैयाके प्रहरी नायव उपरीक्षक श्यामसिंह चौधरीके कमाण्डमें खटाल  प्रहरी गस्ती टोली आम गाछीमे पुगल को.४.प. ५५८७ नम्बरके प्लाटिना मोटरसाइकलमें सवार धनुषा जिल्ला सिंगामाडि मडान गा.वि.स. वडा नं.–३ (हतमुडा) रहैवाल देवनाथ यादवके बेटा बर्ष २४ के नागेन्द्र यादव आ सिरहा जिल्ला विद्यानगर गा.वि.स. वडा नं–८ (छजना) रहैवाल रहमद रायनके बेटा बर्ष ३४ के जाहिर रायनके शरीर खोजतलाश केलतब् यादवके कम्मरमें टिसर्टसँ झाँपल नुकाके राखने अवस्थामें नलकटुवा पेस्तोल १ टा आ ओइमे में प्रयोग करैवाल गोली ५ राउण्ड और रायन के खोजतलासी केलकतब् कम्मरमें सर्टसे नुकाके रखने अवस्थामें U.S.A Auto Pistol 9MM gDa/ 677 लिखल पेस्तोल १ टा , म्याग्जिनमा ९ राउण्ड गोली लोड आ १ टा खालि म्याग्जिन और सामसुङ्ग मोबाईल १ टा भेटल अछि। पक्राउ परल दुनु गोटेके और अनुसनधानके लेल ईलाका प्रहरी कार्यलय मिर्चैयामें रखने अछि आ आवश्यक अनुसनधान भरहल प्रहरी नायव उपरीक्षक श्यामसिंह चौधरीजी जानकारी देलक।

फोटो - madheshspecial सँ

कोई टिप्पणी नहीं