भारतके सेना क्याम्पमें घुइसके ४ गोटे आतंकवादी लेलक १७ सेनाके ज्यान - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

भारतके सेना क्याम्पमें घुइसके ४ गोटे आतंकवादी लेलक १७ सेनाके ज्यान

बिदेशी खबैर

भारतके सेना क्याम्पमें घुइसके ४ गोटे आतंकवादी लेलक १७ सेनाके ज्यान

✍अशोक कुमार सहनी
अपन मिथिला,नयाँ दिल्ली : कास्मिरके सेना क्याम्पमें आतंकवादीके आत्मघाती आक्रमणमें पैर १७ भारतके सेना के मौत भेल अछि आ १९ गो सेना घायल सेहो भेल छै । बरामुल्ला जिल्लाके उरीमें रहल १२ औं ब्रिगेडके मुख्यालयमें ४ आत्मघाती आक्रमण केने छेल। बितल कुछ दिन में  भारत सेना ऊपर भेल  आक्रमण ई सब से बड़का अछि ।

२०१६ के जनवरीमें पठानकोटमें भेल आक्रमणमें ७ सेनाके मौत भेल छेल।


आय भोरके ४ बजे बहुत नीक हतियार सब लके ४ टा आतंकवादी हमला केने छेल। आक्रमणके संयुक्त लड़ाई केके सेना अपन अधीन में लेने छेल।

सन् २०१४ डिसेम्बरमें दश सेनाके मौत भेल  मोहरामें भेल आक्रमण आ आय भोरके आक्रमणसँगे  मिलता जुलता अछि।

घायल सेनासब के लेबैले सेनाके १९ औं डिभिजन हेर्डक्वाटर बरामुलासे हेलिकप्टर खटाल छेल।



भारतके सेना प्रमुख दिलबीर सिंह सुहाग आ रक्षामन्त्री मनोहर पारिकर घटनास्थल जारहल अछि।

घटना भेल बाध गृहमन्त्री राजनाथ सिंह जी रसिया आ अमेरिकाके यात्रा रोकने अछि । आक्रमण भेल तुरंते गठन भेल  समितिके नेतृत्व सिंह अपने लेने अछि । 



 

कोई टिप्पणी नहीं