मधेशी-जनजातिसब मनेलक कारि दिन - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मधेशी-जनजातिसब मनेलक कारि दिन

मधेशी-जनजातिसब मनेलक कारि दिन


✍अशोक कुमार सहनी
अपन मिथिला, ३ गते  असोज । संविधानमें असन्तुष्टि जनाबैत ऐल मधेशी–आदिवासी जनजातिसब  आय कारि दिन मनेलक । संविधान घोषणा भेल एक वर्ष पुरा करै के अवसरमें उ सब कारि दिन मनेने अछि ।

दोसर तरफ नेपाल सरकार आ नेकपा एमाले सँ और सब पार्टी संविधान दिन  भव्यताके साथ मनेलक।

मधेशके सब जिल्लामें संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा घोषणा केने बमोजिमें  कारि दिन मना रहल अछि । और पहाडमें संघीय गठबन्धनमें आवद्ध दलके घोषणामें कारि दिन मनेलक  ।

मधेशके मुख्य मुख्य शहरहरुमें हजारौंके संख्यामें सहभागी मधेशीसब नारा लगबैत काला पटी बाँइंध के कारि दिन मनेलक। काठमाडौके माईती घर मण्डलामें मधेशी मोर्चा आ मधेशी समाज अलग अलग फरक फरक कार्यक्रमके आयोजना केने अछि और शान्तिबाटीकामें संघीय गठबन्धन विरोध कार्यक्रमके आयोजना कके कारि दिन मनेलक ।

.✍अशोक कुमार सहनी

कोई टिप्पणी नहीं