दहेजकें नाम पऽ अहाँ बिकाई छी (मैथीलि गीत) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

दहेजकें नाम पऽ अहाँ बिकाई छी (मैथीलि गीत)

दहेज विरुद्ध (मैथीलि गीत)
दहेजकें नाम पऽ अहाँ बिकाई छी !!

✍राम सोगारथ यादव


सुनु यौ जुवनका,सुनु यौ कमौवा
कोन युगमे अहाँ बौवाई छी !
पलैटक देखु अपने पाछु,
दहेजकें नाम पऽ अहाँ बिकाई छी !!

केहन रोगक रोगी समाज
नित दिन पसरल जाइ छै !
लगाम लगाबु एह रीती पऽ
दहेजमे कतेक बेटि बोझाई छै !!
सुनु यौ बुद्धिजीवी सुनु यौ युवा
कोन कु प्रथामे अहाँ सौनाई छी !
...................................

गरिब बाप सोंचै नित दिन
कौना हेतै जीनगी निर्बाह यौ !
उपरसँ पडल दहेजक चाप
कौना हेतै बेटि बियाह यौ !!
सुनु यौ चाचा सुनु यौ दादा
दहेजला बनल केहन कसाई छी !
....................................

दहेजक अडा भेल बड भारी
पवित्र प्रेमोमे लगबैत दाग छै !
दहेज आगु बहुतो बेटिक बाप
गिरबैत अपन पाग छै !!
सुनु यौ पढुवा सुनु यौ पढकर
कोन रीती अहाँ मिझराइ छी !
.....................................

लेखकः ✍राम सोगारथ यादव

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :-अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷✔🌷✔🌷


🎆

कोई टिप्पणी नहीं