ऊ एलै हमर पुरा जिनगी सवैर गेलै - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

ऊ एलै हमर पुरा जिनगी सवैर गेलै

ऊ  एलै  हमर  पुरा  जिनगी   सवैर   गेलै

✍प्रयाश प्रेमी मैथिल

हमरा  लेल  चाँन  अस्मान सँ उतैर गेलै !
खुशी सँ मनमे  प्रेमक  गाछ मजैर गेलै !!

हरदम     उदास     रहैवाला    चेहरापर ,
कोना आई मुश्कानक' रोशनी पजैर गेलै !

रोजे  दु:खक  कहर  वर्षावैवाला  बादल ,
बिना  दु:ख  वर्षेनै  आगा दनें गुजैर गेलै !

यी वास्तवमे साच्चे अछि की सपना मात्र ?
संगीसब  कहै  छै  हमर  मिता  तैर  गेलै !

साच्चे  सगरो  आई हम  हराभरा देखै छी ,
ऊ  एलै  हमर  पुरा  जिनगी   सवैर   गेलै !

✍प्रयास प्रेमी मैथिल

कोई टिप्पणी नहीं