विद्याथीसबके आगु बढ़ाबै के लेल हाजरी जवाफ प्रतियोगिता सम्पन्न भेल
विद्याथीसबके आगु बढ़ाबै के लेल हाजरी जवाफ प्रतियोगिता सम्पन्न भेल
✍अशोक कुमार सहनी,अपन मिथिला |कार्तिक ११गते |
आय सप्तरीके मौवाहामें विद्यालय सभक हाजरी जवाफ प्रतियोगिता सम्पन्न भेल अछि। कार्यक्रमें राजेश्वरी नि.मा.वि. मौवाहा पहिल, माँ शेरावाली बोर्डिङ स्कूल चन्ही, मलहनिया दोसर आ माँ अम्बे बोर्डिङ स्कूल मौवाहा तेसर भेल अछि। श्री चैतीदुर्गा युवा कलबके आयोजनामें सम्पन्न भेल उ कार्यक्रममें पहिल, दोसर आ तेसर भेल सबके अबिर, माला, के साथमे प्रमाणपत्र, सील आ आकर्षन पुरस्कार सँ सम्मानित के ने अछि ।
छ टा गाम'क विद्यालयके १८ गोटे बिद्यार्ति सहभागी भेल छेल उ कार्यक्रममें सबके सान्तवना पुरस्कार आ प्रमाणपत्र दके सम्मानित केलगेल छेल। कार्यक्रममें के प्रमुख अतिथि प्रध्यापक विनोदानन्द झा जी कहलक भीतरी गाम सबके विद्यालय के आगु बढ़ाब के लेल एहिने कार्यक्रम सब टाइम टाइम में करपरत सुझाब देने छेल ।
ओतके युवासब के सहयोगमें आयोजना भेल कार्यक्रमके अगुवाइ रामनारायण यादब, कपिलदेब शाह,सुरुज भण्डारी,बिजय गुप्ता ई सब युवासब मिल के केने छेल । उ कार्यक्रमके संयोजक रामकृष्ण गुप्ता जी केलक आ कार्यक्रम के संचालन दिनेश रसिया जी केने छेल ।
(ई फोटो दिनेश रसिया देने अछि)
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
कोई टिप्पणी नहीं