मुसहरके बेटा-बेटी आब स्कुल पढ़ लागल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मुसहरके बेटा-बेटी आब स्कुल पढ़ लागल

मुसहरके बेटा-बेटी आब स्कुल पढ़ लागल


अशोक कुमार सहनी, अपन मिथिला। असोज २१ मुसहरके धिया-पुता स्कुल जायके सुरुकेने अछि  । महोत्तरी जिल्लाके रातो खोला बगलमें बालु -गिट्टी चालै, आ जङ्गलसे जरना लाऐब् के जिनगी गुजारा करहल  बर्दिबास नगरपालिका–२ मुसहर बस्तीके बाल बच्चासब स्कुल जय लागल अछि ।
कुछ लेट् सही  पढ़ल लिखल भेल बाल-बच्चा के भविष्य नीक हेत मुसहर बस्तीके अभिभावकसब बुझलक ओकरा सब अपन अपन बच्चा के स्कुल पठाब लागल अछि । धुर्मुस आ सुन्तली फाउन्डेसनसे मुसहर बस्तीमें बहुत् किसिम के जनचेतनामूलक कार्यक्रम सञ्चालन केने छेल आ अभिभावकसबके बेटा-बेटी स्कुल पठाब आ पढ़ाबै ले उत्साहित भेल अछि । ६० घरपरिवारके ३७५ गोटे के बसोबास रहल उ बस्तीके ६४ बाल-बच्चा जनता उच्च माध्यमिक विद्यालयमें पढ् जयके सुरु केने अछि ।

विद्यालयकेअनुसार, शिशु कक्षामें २४, कक्षा १ में १७, कक्षा २ में १६, कक्षा ३ में ६ गोटे बाल-बच्चा धुर्मुस आ सुन्तलीके प्रेरणासे स्कुल पुगल अछि। उ बस्तीमें शिक्षाके चेतनासे बाल बच्चा सब नवयुग बाल क्लब गठन कके अपन रहल मुसहरबस्तीके साफ सुथरा अभियानमें सेहो जुटल अछि।

हास्य कालाकार जोडीके उ फाउन्डेसनसे मुसहरबस्तीके आय काल्हि के अवस्था सुधार करै के बहुत किशिम के कार्यक्रम सञ्चालन केने छेल ।  फाउन्डेसनके अगुवाइमें बर्दिबास नगरपालिका, इलाका प्रशासन कार्यालय, इलाका प्रहरी कार्यालय, बर्दिबास उद्योग वाणिज्य सङ्घ आ सङ्घसंस्थासब सेहो मुसहर बस्तीके सुधारके लेल सहयोगी हात बैन के बाल बच्चा सबके कापी किताब में लगानी लगेने अछि। बर्दिबास नगरपालिका मुसहर बस्तीके बाल बच्चा सबके पढ़ाई लिखाई में सहियोग के लेल  रु सात लाखके लागतमें सामुदायिक भवन सेहो  बना देने अछि ।

जनता उच्च माध्यमिक विद्यालयके प्रधानाध्यापक नारायणप्रसाद अधिकारी जी सरकार आ सामाजिक सङ्घसंस्था मुसहर बस्तीके शिक्षास्तर उठाब लेल गम्भीर बनल ओहिसे मुसहर बाल बच्चा ऐल से विद्यार्थीके सङ्ख्या में बहुत् भेल बतेलक । दुई लाख ३४ हजार ४९० जनसङ्ख्या रहल मुसहर समुदायमें सात प्रतिशत लिखल पढ़ल भेल में स्त्री के सङ्ख्या मुदा बहुत् कम अछि ।


✍अशोक कुमार सहनी

कोई टिप्पणी नहीं