साँझक चौपाड़ि परः दोहा-कतार मे मैथिली साहित्यिक गोष्ठी - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

साँझक चौपाड़ि परः दोहा-कतार मे मैथिली साहित्यिक गोष्ठी

doha7


साँझक चौपाड़ि परः दोहा-कतार मे मैथिली साहित्यिक गोष्ठी 






बिन्देश्वर ठाकुर अपन मिथिला 
"मातृभाषाक जगेर्णा हमरासबहक प्रेरणा" मूल नाराके संग बिगत १४ मास सँ निरन्तर रुपमे आयोजना होइत आबि रहल मैथिली काव्य-सन्ध्या अन्तर्गतके कार्यक्रम #साँझक_चौपाड़ि_पर के चौदहम मासक बैसार मिति: ३०/०९/२०१६ शुक्र दिन दोहाक मुन्ताजा पार्क मे सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल । 

युवा गजलकार असरफ राईन जीक संयोजकत्वमे शुरु भेल उक्त बैसारमे विभिन्न रस तथा भावके  कविता,कता आ गजल सब वाचन कएल गेल । तहिना नेपाल सँ पठाओल गेल कवि प्रणव कान्त झा आ सोगारथ यादव जीक कविता,सउदी अरब सं पठाओल सुरेन्द्र सुर्या जीक रचना आ कतार सँ पठाओल कवि धनेश्वर ठाकुर जीक कविता सेहो वाचन कएल गेल । कार्यक्रममे प्रत्यक्ष रुपे कवि बेचन महतो,कवि अब्दूर रज्जाक,कवि विन्देश्वर ठाकुर। तहिना हेल्प मधेशी दिस सँ सकृय युवा समाजसेवी वीरेन्द्र साह,दिनेश यादव,सतीश यादव,राम कल्याण याद,पवन ठाकुर लगायतके श्रोतासबहक उपस्थिती छल । समग्रमे बैसार खूब नीक रहल ।

कोई टिप्पणी नहीं