मैथीलि छठी मैया के गीत
मैथीलि छठी गीत
✒✍शिव कुमार झा 'टिल्लू'
*****************************
छठिहे कहू मनोरथ रविसँ सबहक दुःख हरि लेथिन ना
भगतिन ठाढ़ अरघके' पथ पर एहने आशीष देथिन ना !
सार्थक कर्मक फल भोगी तन मन धन सदति निरोगी
इएह टा जीवन बनेथिन ना

अतिआश ने बाट निहारय विश्वासक सगुन उचारय
उतयोग गहेथिन ना

बाधा लग चरण ने डोलय तृष्णा ने अनर्गल घोलय
भावक सरित बहेथिन ना

हे माता अर्घ सकारू मोनक सभ हाहि हकारू
पुनि भोरमे एथिन ना

सभ साँझ देखि क' सीखत शिव जामिनी गाथा लिखत
रवि राति बितेथिन ना

लेखकः✒✍शिव कुमार झा टिल्लू
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
✔✔🔵✔🔵✔✔✔✔🔵
✔

कोई टिप्पणी नहीं