जागु हे मिथिलानी
|| जागु हे मिथिलानी ||
✍राम सोगारथ यादव
दहेज पडल बड भारी ।
सुनु यौ मिथिलाक नारी ।।
बेटा प्रधान रित यत
बेटि पडल लचारी ।
जगियौ जगियौ हे जगियौ मिथिलाके नारी ।।
बहुतो बेटि आगि जरलै
बहुतो बेटि गाछ लटकलै ।
दहेज कारण बहुतो बेटिक
घरेमे सास अटकलै ।।
बहुतो बाप घुटना टेकै
बहुतो बाप भेलै भिखारी ।
जगियौ जगियौ हे जगियौ मिथिलाके नारी ।।
बेटा बेटि बराबरी कहितो
अहाँ छी असुरक्षित ।
देशक संबिधानमे अछि
अहाँक अधिकार अंकित ।।
समान अधिकार कहितो
बेटि प केहन लागल दहेजक दाग कारि ।
जगियौ जगियौ हे जगियौ मिथिलाके नारी ।।
समाजक इ जरियाय बिमारी
हरियौ न कलेश ।
बेटि नहि तँ संसार नहिं
बाँटु सगरो उपदेश ।।
अहि छी बेटि अहि पुतोहिया
अहि छी ककरो मतारी ।
जगियौ जगियौ हे जगियौ मिथिलाके नारी ।।
✍राम सोगारथ यादव
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷🌷🌷🌷
🔵🔵🔵🔵🔵
✔
🚩
✍राम सोगारथ यादव
दहेज पडल बड भारी ।
सुनु यौ मिथिलाक नारी ।।
बेटा प्रधान रित यत
बेटि पडल लचारी ।
जगियौ जगियौ हे जगियौ मिथिलाके नारी ।।
बहुतो बेटि आगि जरलै
बहुतो बेटि गाछ लटकलै ।
दहेज कारण बहुतो बेटिक
घरेमे सास अटकलै ।।
बहुतो बाप घुटना टेकै
बहुतो बाप भेलै भिखारी ।
जगियौ जगियौ हे जगियौ मिथिलाके नारी ।।
बेटा बेटि बराबरी कहितो
अहाँ छी असुरक्षित ।
देशक संबिधानमे अछि
अहाँक अधिकार अंकित ।।
समान अधिकार कहितो
बेटि प केहन लागल दहेजक दाग कारि ।
जगियौ जगियौ हे जगियौ मिथिलाके नारी ।।
समाजक इ जरियाय बिमारी
हरियौ न कलेश ।
बेटि नहि तँ संसार नहिं
बाँटु सगरो उपदेश ।।
अहि छी बेटि अहि पुतोहिया
अहि छी ककरो मतारी ।
जगियौ जगियौ हे जगियौ मिथिलाके नारी ।।
✍राम सोगारथ यादव
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷🌷🌷🌷
🔵🔵🔵🔵🔵
✔
🚩

कोई टिप्पणी नहीं