यौ साजन हम खूब कनै छी - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

यौ साजन हम खूब कनै छी

सजना केर याद में 


✍मनीष झा

यौ साजन हम खूब कनै छी
नोर  पीबि  के  दिन कटै छी
की अछि बात कहू ने प्रीतम
एतेक कठोर कोना क' बनै छी
यौ साजन हम .....

एकटक नयन निहारैए कोनटा
नहि जानि केहेन एलैए विपदा
विधना सेहो एम्हरे बघुएलै - २
से सब देखि मरैत जीबै छी
यौ साजन हम ....

पूछैए  बौआ  माँ गैए  कह ने
पप्पा औथिन कहिया तक मे
की कहियै हम किछु नै फुराइए -२
बात बदैल कहुना बुझबै छी
यौ साजन हम ....

अन्न पाईन नहि किछुओ सोहईए
सदिखन   ध्यान   आहिं  के रहैए
लोकक उलहन कान सँ सुनि क' -२
पूछू नै टीस कोना के सहै छी
यौ साजान हम...

                   
                   ...✍ मनीष झा



🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷




✔✔✔


🚩

कोई टिप्पणी नहीं