लगन (विवाह ) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

लगन (विवाह )

ं लगन ं


बैशाख क महिना लगन भेल जोर !
गाउँ नगर मे वर कनिया भेल सोर !!
उ लरका कारी यी लरकी भेल गोर !!!
सब लगन के बात करै साम या भोर !!!!


ढोलक तबला मे बजा के धुइन !
बनिया सब बेचै दहि चुरा या नुन !!
कनिया के सोभै छेदाक भैर सुन !!!
लरका मनाबै खुशी के हनि मुन !!!!


सजल बरात मे भरल तेलक टारी !
लरका क सोभै आइख मे कारी !!
लरकी निघारैत पियरका सारि!!
खुशी के गीत गाबै सब नर नारी !!!


गाउँ नगर मे बराती करै सोर !
मलहान के पात प आलु के झोर !!
गाइर फजहैत स बरात होइ बोर !!!
मिथलाके शुभ लगन महा बेजोर !!!!

✍कम्बर श्याम
लहान ८

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷



❤🌷🌷❤✔✔🌷

✔✔

कोई टिप्पणी नहीं