आई बाबू जी सँ हम पुछबैन - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

आई बाबू जी सँ हम पुछबैन

बाबु जी सँ हम पुछ्बैं 


✍👤रोशन मिश्रा
आई बाबू जी सँ हम पुछबैन
आखिर बेटी कीएक अभिशाप
बेटी भ हम एलौह धरती पर
की यैह अछि हमर पाप ???

आई बाबू जी सँ हम पूछ्बैन
आखिर बेटिए कीएक मज़बूर
अहिक खून के गूथ्था छी हम
फ़ेर अहि सँ कीएक छी दुर ???

आई बाबू जी सँ हम पूछ्बैन
आखिर बेटी कीएक बनल अछि अबला
बेटी जन्मीते धुर छी !!... धुर छी !!...
तखन बेटा लेल कीएक कबुला ???

आई बाबू जी सँ हम पूछ्बैन
की अछि सम्भव नारी बीनू संसार
जाहि बेटी सँ जगमग दुनियाँ
वैह बेटी कीएक बनल लाचार ???  
                         
दिय जवाब एही प्रश्नक बाबू जी
आब नय सहब हम कनिको अपमान
जौं नहि भेटत जवाब हीया भरि
अहिक चौखट पर तेजब प्राण ॥

                             ✍👤रोशन मिश्रा

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷



🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

🚩

कोई टिप्पणी नहीं