दहेजक आगू बेबस भेल
दहेजक आगू बेबस भेल
✍नीरज झा
जखन कियो प्रवासी
विदा होइत छथि
प्रवास सँ गाम दीस
हुनकर मोनक उमंग
उताहुल सन हुनक गतिविधि
की हमसब अनुभव कऽ सकैछी ?
गामे-गाम बौआइत
कनटिरबी लेल वऽर तकैत
मुदा दहेजक आगू बेबस भेल
पढल-लिखल बेटीक भाग्य पर
कोनो वृद्ध पिताकेर दुख आ अन्धैर्य
की हमसब अनुभव कऽ सकैछी ?
नहि इच्छा रहितहु , गाम सँ घुरबा काल
ट्रेन आ बस मेँ , कनमुँह सन भेल
वृद्ध मायबाप केँ, गामहि मे ,छोड़ि एबाक दुख
जे कहलो नै जा सकय आ पुरूष हेबाक दम्भ मे
कानियो नै सकय
एहेन पुत्र सभक व्यथा
की हम सब अनुभव कऽ सकैछी ?
नहि किन्नहु नहि !
पलखैत कहाँ ?
अपन अपन रटबा सँ
बसुलाक धार जकाँ
अपनहि दीस छिलबा सँ !
जँ से रहैत
तँ नजेर नहि अबैत
सुन्न भेल गामक-गाम
आ ओहि सुन्न गामक
कोनो-कोनो दलान मेँ
किकियैत वृद्ध !
दवा-दारू लेल लोक केँ नेहोरा करैत
बेटा बड्ड पाइ बला ,
मनीऑर्डर करा दैत छन्हि
पुतौहु केर हाथ सँ
मासक-मास टाका !
मुदा बूढ देह मे पैरूख नहि !
एहि मे बेटा के कोन दोष ?
नै जानी कहिया बुझथिन्ह बेटा जे
टाका , टाका होइत छैक आ बेटा , बेटा !
आ हे ! सत्ते कहैत छी !
हम सब नै बुझि सकैत छी किनकहु दर्द
जँ बुझय लगबै
मनुख नहि भऽ जायब !!!!
✍नीरज झा
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷✔
✍नीरज झा
जखन कियो प्रवासी
विदा होइत छथि
प्रवास सँ गाम दीस
हुनकर मोनक उमंग
उताहुल सन हुनक गतिविधि
की हमसब अनुभव कऽ सकैछी ?
गामे-गाम बौआइत
कनटिरबी लेल वऽर तकैत
मुदा दहेजक आगू बेबस भेल
पढल-लिखल बेटीक भाग्य पर
कोनो वृद्ध पिताकेर दुख आ अन्धैर्य
की हमसब अनुभव कऽ सकैछी ?
नहि इच्छा रहितहु , गाम सँ घुरबा काल
ट्रेन आ बस मेँ , कनमुँह सन भेल
वृद्ध मायबाप केँ, गामहि मे ,छोड़ि एबाक दुख
जे कहलो नै जा सकय आ पुरूष हेबाक दम्भ मे
कानियो नै सकय
एहेन पुत्र सभक व्यथा
की हम सब अनुभव कऽ सकैछी ?
नहि किन्नहु नहि !
पलखैत कहाँ ?
अपन अपन रटबा सँ
बसुलाक धार जकाँ
अपनहि दीस छिलबा सँ !
जँ से रहैत
तँ नजेर नहि अबैत
सुन्न भेल गामक-गाम
आ ओहि सुन्न गामक
कोनो-कोनो दलान मेँ
किकियैत वृद्ध !
दवा-दारू लेल लोक केँ नेहोरा करैत
बेटा बड्ड पाइ बला ,
मनीऑर्डर करा दैत छन्हि
पुतौहु केर हाथ सँ
मासक-मास टाका !
मुदा बूढ देह मे पैरूख नहि !
एहि मे बेटा के कोन दोष ?
नै जानी कहिया बुझथिन्ह बेटा जे
टाका , टाका होइत छैक आ बेटा , बेटा !
आ हे ! सत्ते कहैत छी !
हम सब नै बुझि सकैत छी किनकहु दर्द
जँ बुझय लगबै
मनुख नहि भऽ जायब !!!!
✍नीरज झा
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷✔

कोई टिप्पणी नहीं