नेपालमे देवएवला सभसँ बडका राशीक विद्यापति पुरस्कारक घोषणा

✍सुजीतकुमार झा अपन मिथिला ।जनकपुरधाम, कातिक २७ ।
मैथिली भाषामे नेपालमे देवएवला सभसँ बडका राशीक पुरस्कारक आई जनकपुरमे एक समारोह बीच घोषणा कएल गेल अछि । नेपाल सरकारद्वारा स्थापित विद्यापति पुरस्कार कोष एकगोटेके दू लाख आ चारगोटेके एक– एक लाखक पुरस्कारके घोषणा कएलक अछि ।
दू लाख राशीक नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा साहित्य पुरस्कार जनकपुरक मिथिला नाट्य कला परिषदके देबएके निर्णय कएने जानकारी कोषक संयोजक विजय दत्त देलन्हि अछि ।
तहिना नेपाल विद्यापति मैथिली अनुसन्धान पुरस्कार त्रिभुवन विश्वविद्यालयक प्राध्यापक डा. विरेन्द्र पाण्डे, नेपाल विद्यापति मैथिली अनुवाद पुरस्कार मैथिली सिनेमाक चर्चित निर्देशक एवं संगीतकार मुरलीधर, नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डुलिपी पुरस्कार मैथिलीक चर्चित नाटककार अवधेश पोखरेल आ नेपाल विद्यापति मैथिली कला संस्कृति पुरस्कार गायक नविनकुमार मिश्रके देबएके निर्णय भेल अछि ।
साहित्यकार रामहृद्य प्रसादक संयोजकत्वमे कोष गठन कएने पाँच सदस्यीय समितिक सिफारिसमे घोषणा कएलगेल अछि । समितिमे डा. आशा सिन्हा, रामसागर पण्डित, पूर्व सांसद महेन्द्रकुमार मिश्र आ डा. श्यामा महतो छलथि ।
✍सुजीत कुमार झा
जनकपुर
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :-अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं