सामा बहिना सासुर जेथिन (सामा गीत मैथीलि) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सामा बहिना सासुर जेथिन (सामा गीत मैथीलि)

सामा गीत


✍शिव कुमार झा "टिल्लू"

**************************
धवल कातिक पूर्णिमाक चान
सामा बहिना सासुर जेथिन
सजल फाँड़क लेल मधुर आ मखान
किछु क्षणमे जेठ भैया एथिन..........

अनुज थाम्ह काटि बेढ़केँ बनौलनि
चमचम कागतसँ दुआरिकेँ सजौलनि
फलकल बहिनक ई नेहक जहान
चकेबा विभोर भ' जेथिन..........

हरि इहलौकिक आशिष बरसाबथि
तात अनुभूतिक हीयासँ लगाबथि
ई देखि चुगलाक जड़ि रहलै प्राण
वृन्दावन चहकि उठथिन.........

पात सुरभितसँ आँगन पाटल अछि
कतबो खोंटै छी सिनेहसँ साटल अछि
घाट गमगम देवत्वक स्थान
लगैए पुष्प वरखा एथिन ..........

जल्दी पाहुनकेँ द'ही खुअबिऔन
नोरित सामा बेटी ग'रसँ लगबिऔन
करेज फाटि रहल सुनि समदाओंन तान
शौभाग्यक संग फेरो एथिन ...........

✍शिव कुमार झा "टिल्लू"

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷


🌷🌷🌷🌷


🌷🌷🌷🌷

🌷🌷
🌷

कोई टिप्पणी नहीं