अहाँ छुलियै सिंगरहार भेलौं हम - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

अहाँ छुलियै सिंगरहार भेलौं हम

अहाँ   छुलियै   सिंगरहार  भेलौं   हम


✍मैथिल प्रशान्त 

अहाँ   छुलियै   सिंगरहार  भेलौं   हम
मेघ  भावक  उठल  अखार भेलौँ हम

बून्न  नेहक  खसल  जे हमर हिया पर
एक   क्षणमे  खेते  पथार  भेलौँ  हम

छल  पाथरक करेजा हमर पाथर रही
अहाँ  छोड़ि  गेलियै  देखार भेलौँ हम

आपस  लेलक  धारकसँ अपन वचन
आब  पचसैया  की  हजार  भेलौँ हम

गति  ने बाँचल रहल भेल तेरहो करम
फर्क की सओजनी जयवार भेलौँ हम

~>✍ मैथिल प्रशान्त
 दुर्गौली, बेनीपट्टी ।


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷


✔✔✔

✔✔

कोई टिप्पणी नहीं