सोरह-श्रङ्गारमे एलौ,पहिले दिन कॅलेज राधा - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सोरह-श्रङ्गारमे एलौ,पहिले दिन कॅलेज राधा

सोरह-श्रङ्गारमे एलौ,पहिले दिन कॅलेज राधा


✍विधानन्द वेदर्दी

सोरह-श्रङ्गारमे एलौ,पहिले दिन कॅलेज राधा
छिनिके ल' गेलौ अहाँ,सबटा हमर नॅलेज राधा॥

देखिके चन्द्रमुखी सन सोहाओन सुरति अहाँके,
एक्कहि झटकामे,दिमागक बत्ती भेल फेज राधा॥

 ई नजरि सँ ऊ नजरि अनचोकेमे मिलि गेलै तब,
धकधक धड़कलै अगवे जोर सँ, ई करेज राधा॥

मारलौ जे मुस्की चौवनी,शरीरक नसनस टुटल
कहिया करबै कहुँ प्रेम-पट्टीसँ व्याण्डेज राधा?

विआहक खातीर त' राजीये अछि 'विद्यानन्द',
क' लिय,नै लेत फटफटिया आ नै दहेज राधा॥
__________________
 ग़ज़लकार ✍विद्यानन्द वेदर्दी
    सप्तरी,राजविराज
   हाल- विराटनगर,मोरङ्ग
   *2073/08/13


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷





✔✔✔✔✔🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷🌷🌷✔✔✔✔🚩🚩🚩


कोई टिप्पणी नहीं