गाबी तोरे गीत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

गाबी तोरे गीत

गाबी तोरे गीत



✍✒👤मैथिल प्रशान्त 


1:
हम एसगर छी बीन तोरा
तोरा भेटलौ मनमीत
तोहर स्वर लय तालमे
गाबी तोरे गीत
2:
छाती तोहर पाथर भेलौ
समय हमर विपरीत
मजरै आश वसंत मे
कोइलीक कूहकब तीत
3:
माहुर तोहर प्रीत छौ
छौ माहुर तोहर प्रीत
माहुर समय वसंत के
माहुर जगके रीत
4:
पानि पुरैनक पात पर
ठकहरबा के प्रीत
मौसम सन बदलैत अछि
क्षण प्रतिक्षण मनमीत
5:
आखर आखर क्लेश छै
नेहक होइछ दुखांत
चरिपतिया पढि लौट आए
बेकल मैथिल प्रशान्त

✍👤मैथिल प्रशान्त
दुर्गोली,बेनीपट्टी


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

🌷🌷🌷👤

कोई टिप्पणी नहीं