भोला बाबा यौ, जीवन हमर कठोर - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

भोला बाबा यौ, जीवन हमर कठोर

भोला बाबा यौ, जीवन हमर कठोर


✍👤अमित मिश्र

भोला बाबा यौ, जीवन हमर कठोर
जनमहिं सँ हम विपति के मारल-2
नैना सँ बहै अछि नोर
भोला बाबा यौ......

1
जनम त कानिते भेल यौ बाबा, कानिते बीतल भोर-2
साँझ पहर धरि नोरे बहाओल, पापी केहन  बेजोड़
भोला बाबा............

2
केलक ने कहियो स्नेह त कियो, लेलक ने कियो कोर-2
निर्माले सन अहूँ त तेजलौं, देलहुँ विपति अघोर
भोला बाबा यौ.......

3
केहन अदिन्ता, भाग हमर छै, पुण्य केलहुँ नै थोड़-2
अन्त समय यमराज जखन एल, धयलहुँ चरणा तोर
भोला बाबा यौ.......

गीतकार ✍👤अमित मिश्र



🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷


🌷🌷🌷🌷🌷


🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं