पुबरिया ! (गीत ) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

पुबरिया ! (गीत )

पुबरिया ! (गीत ) 


✍👤शिव कुमार झा टिल्लू 

*****************************
गहन अन्हरिया सखि हे मोन डरि रहलै आहेराम 
मोन डरि रहलै कोना एकसरि रहबै ना 
रामा प्रियतम भेलथि विदेशी ककरा विरहा कहबै ना !

बिसरल इजोरिया सखि हे नोर बहि रहलै आहेराम
नोर बहि रहलै कोना विपदा महबै ना 
रामा भेलियै भीजल भेशी कोना धारके' पोछबै ना !

आशनैन घ'र बहरिया रहि रहि हेरै डगरिया
आशनैन घ'र बहरिया रहि रहि हेरै आहेराम 
रहि रहि हेरै ई पछबरिया हँसलै ना 
रामा विरहिनीके सजना क'हू कत' बसलै ना !

प्रियतम पुबरिया भेलथि पछबा झमारि कनेलथि
प्रियतम पुबरिया भेलथि पछबा कनेलथि आहेराम 
पछबा कनेलथि प्रोषित पतिका सहलै ना 
रामा बहल नोरने सुखलै तैयो फेरसँ बहलै ना !

✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"



🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌻🌻❤❤❤❤❤❤🌻❤❤



🌻🌻🌻🌻❤


कोई टिप्पणी नहीं