सोहर राम लक्षमण जन्म ( २६.१२. २०१६
सोहर राम लक्षमण जन्म ( २६.१२. २०१६ )
✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
*************************************खुशीसँ भीजल दशरथ नयना
कोर भिजौलनि चारू ललना
बाल किल्होरथि हँसली मयना आजु अवधनगरी !
गगरी भरि चलली सुकुमारि
सुनिते दौड़लि जेना बिहाड़ि
चढ़िते खसलि बीच मोहारि फूटल गगरी !
की हेतै हे अवधक दाय
सोनक गगरी देथिन माय
काल्हिये लेबेन किनबाय दू- दू टा गगरी !
चलू खेबै छठिहारक भोज
देखबनि चारू कुमारक ओज
एहिना ब'नल रहथि सरोज कुलक पहरी !
चारू दिशि सोहर के तान
गितहारिन सभ पेलथि दान
देखल 'शिव' चारू दिनमान अवधनगरी !
✍👤गीतकार :-शिव कुमार झा "टिल्लू"
नोटः-" गीतकारक सभ गोट गीत कॉपीराइट अधिनियम के तहत मात्र गीतकारक आधिपत्यमे छनि ..तेँ हिनक कोनो सम्पूर्ण गीत वा ओकर अंश रचनाकारक लिखित अनुमति के बिना व्यावसायिक रूप सं प्रयोग करब कॉपीराइट अधिनियम के उल्लंघन मानल जायत !
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷


कोई टिप्पणी नहीं