🌻प्रेमक गंगा🌻 - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

🌻प्रेमक गंगा🌻

🌻प्रेमक गंगा🌻


✍👤राजीव कर्ण
*******************************
मोन  हमरो करै आय गुणगुनाबी कनी
गीत प्रेमक हम  सबके  सुनाबी  कनी।

रूप यौवन  जे देखलौ अझक्के  हुनक
मोन हिलसल जे हुनका  रिझाबी कनी।

नयन  भरल  निशा हुनक  अमृत सुधा
मन बहकल बनल आय  शराबी कनी।

साइट हिया में  हुनक  मदिर गात गोर
फेर मोनक ई  बगिया  गमकाबी कनी।

राइत बहकल  सेहो मोन  तरसल सेहो
गाल  हुनको  रहैन भेल  गुलाबी  कनी।

जोर  मारय  हिया  तन  मारय  हिलोर
कहय  प्रेमक  हम गंगा  बहाबी  कनी।

डुइब  हुनके में हम भ सदिखन जे संग
भाग  सुतल  कपारक   जगाबी  कनी।
*********************************
✍👤राजीव कर्ण
राजनगर ,मधुबनी ,


❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷


🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं