💞 बीप्रेक 💘 झूला - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

💞 बीप्रेक 💘 झूला

💞 बीप्रेक
                     💘  झूला




✍🏻 वी०सी०झा"बमबम" 

~ गऽइ  राधा एहि बेर तोहर आमक गाछ बड्ड मोजरल छउ !
~ हं रउ ! हमहु काल्हि गेल रहि मोंछी तोरय लेल तऽ देखलिए ! मुदा तोरो गाछ तऽ खुबे मोजरल छउ ! एहि बेर झूला लगेवही कि ?

~ किया तोरा झूला झूलय लेल लगेवहि झूला कि ?
~ जेना अपने तऽ झूलिते नहि छलैं तहिना ?

~ हं चू्प्प गऽइ झूट्ठी ! अपना बेर मऽ हमरा सऽ झूलि लइत छलैंह आ हमरा बेर मे झूट्ठे कऽ बहन्हा बना कऽ चलि जाइत छलैंह !
~ किया तकर बदला म़ऽ हम तोरा सिनुरिया बम्बई आरो कतेक रंगक आम खुआवैत छलियहु मचान पर बैसाऽ कऽ से बिसड़ि गेलहि कि ?

~ नहि गऽइ एहनो बिसरि जेबहि ? तोहर खुआयल आम संऽ एखन धड़ि मोन मिट्ठे अछि !
~ तखन कह ने झूला लेगेवहि ने ? आओर हमरा झूलेवहि ने ? कह ने रउ चूप किआ भऽ गेलंऽ ?

~ हं गऽइ  झूलो लगेवहि आ तोरो झूलेबउ ! मुदा तोरो पोंरे साल जेंका आम खुआबऽ परतहु से बुझि ले !
~ बेस झूला लगविहेंऽ खूएबउ ! रउ तोरा एना अनविश्वास कियाक होइत छउ हमरा पर ?

~ नऽइ गऽइ हमरा तोरा पर पूर्ण विश्वास अछि !
~ चल - चल मास्टर सेहाब आबि गेलखिन !

✍🏻 वी०सी०झा"बमबम"
                            कैथिनियाँ

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷



🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं