Msu Nepalकऽ अभियान अन्तरगत १०औं कार्यक्रम सम्पन्न भेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

Msu Nepalकऽ अभियान अन्तरगत १०औं कार्यक्रम सम्पन्न भेल


Msu Nepalकऽ अभियान अन्तरगत १०औं कार्यक्रम सम्पन्न भेल


✍👤गजेन्द्र गजुर /लहान/अपन मिथिला Msu Nepalकऽ प्रभावकारी अभियान
"एक डेग मिथिलाक विकासक लेल " एहि नारा सगं संचालित "विद्यार्थी जागरण" अभियान अन्तरगत १०औं कार्यक्रम एहि महिनाक शुकरदिन #लहान_रेनवो _इन्टरनेशनल_स्कुल' मे वक्तित्वकला प्रतियोगिता सफलतापूर्वक  सम्पन्न भेल। 

विद्यार्थी सभ  सँ साथ आ सहयोग पाबि आगा बढि रहल मिस्यु "हम आ हमर पहिचान" शीर्षकमे प्रतियोगिता केलक। कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि वरिष्ठ साहित्यकार विनित ठाकुर(काठमाडु ) , अतिथिमे Arjun Prasad Gupta , राकेश झा रहथि।  "विद्यार्थी जागरण " अभियानके मिथिलाक आनो जिल्ला सभ मे पसरत से कार्यक्रमक सभाध्यक्ष हृदय नारायण यादव कहब छनि।


 कार्यक्रममे ५-९ कक्षा धरिके २५ गोट विद्यार्थी सहभागी भेल छल।जाहिमे प्रथम दृतिय अा तृतीय आ संतावनामे बाकी क्रमश : आदित्य महतो , रबिना साह, महेश यादव, निशा साह, पूजा साह लगायत भेल छल।पुरस्कारमे मैथिली सिखऽ लेल एकटा पुस्तक/ , लिखऽ लेल कापी-लीड, सुनऽ लेल गीति सिडी आ प्रमाण पत्र प्रमुख अतिथि, अध्यक्ष , निर्णायक,विद्यालय प्र .अ. राजेन्द्र प्रसाद साह आ मिस्यु नेपालक सदस्यलोकनि प्रदान केलक। 

स्वागत मन्तव्यमे निवर्तमान अध्यक्ष Dinesh Rasya आ गायनमे उपाध्यक्ष Teju Maithil आ Javed Ali सम्पुर्ण सहभागी के झुमौलक '' मिस्युके मदरल्यान्ड स सुरु भेल इ डेग कहियो नहि रुकए आ एहन युवाके सक्रिया जौ सगठे हुवे त विकास निश्चिते होएत "से प्रमुख अतिथि विनित ठाकुर कहलक। आ कार्यक्रममे रन्जना सिहं,महेश सिहं,विनिता सरन, रामदेव,उद्धव, इन्द्रजीत, Aamin Ali , जयकान्त, शुखसागर , लगाएत मिस्युक सदस्यलोकनि छलाह। 

कार्यक्रमकऽ संचालन Gaytri Singh आ Gajendra Gajur केने छल। "विद्यार्थी जागरण"अभियानमे हमसब  प्रभावित भेलहु आ एकरा सब स्कुलमे करु से कार्यक्रमे सहभागी विद्यार्थी सब टिप्णी केलक।




✍गजेन्द्र गजुर 
लहान 


🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷



🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं