गुड्डी भेल मोन - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

गुड्डी भेल मोन

|| गुड्डी भेल मोन ||


✍👤विकाश वत्सनाभ 
अहाँक मादे गोट दुइ आखर लिखैत
गुड्डी भेल मोन 
नगरक झूस पड़ैत बिम्ब सँ
घुरैत अछि गाम
अपन आँगन-खेत-खरिहान-गाछी-बान्ह 
लोढ़ैत अछि शब्द पुष्प
गाँथ लगैत अछि भावक माला 
लिख लगैत अछि अहाँ केँ ।

जखन बालकोनी मे बैसल
बसातक सिहकी मे
उधिआइत अछि अहाँक फुजल केश 
हमरा मोन पड़ैत अछि बाध
बाधक हत्ता 
हत्ता पर छिरहरा खेलाइत साबे ।

अएनाक सोझा श्रृंगार कएने ठाढ़ 
अहाँक ठोरक टुहटुहि देखि
हमरा मोन पड़ैत अछि चुमाओन
चुमाओनक डाला
डाला मे गाँथल अजोह बाँसक सीकी  ।

सहटि कँ जखन अबैत छी अहाँ सोझा
पढ़ैत छी एकदोसरक आँखि
आँखिक गढ़ैन हेरैत
मोन पड़ैत अछि गामक कलम
कलमक आम
कलमी आमक जुआएल कोसा

अहाँक केश सँ टघड़ि 
भहुँ पर लटकैत पानिक बुन्न सँ
हमरा मोन पड़ैत अछि खेतक तीसी
तीसी फूल परक ओस 
ओस सँ छिटकैत ललौंच इजोत

जखन फूटैत अछि अहाँक मुसकी 
बहराइत अछि दूधिया इजोत
हमरा मोन पड़ैत अछि अरबा चाउर
चाउरक पिठार
पिठारक उज्जर बगबग झलकी 

अहलभोरे अहाँक चाहक आबेस मे
बोलिक मिठास सँ
हमरा मोन पड़ैत अछि गामक भोर
भोरक  पराती 
पराती मे बिलहैत मैथिली 

जखन रूसैत छी अहाँ
अबड़ेरैत छी हमर सभटा बात
अहाँ केँ पोल्हबैत
मोन पड़ैत अछि गाछीक  जामुन
जामुन खोंटैत सिलोरि
सिलोरि केँ पोल्हबैत अपन नेनपन

एक आँखि मे आँजल छी अहाँ
दोसर मे आँजल अछि गाम
जहिना हम तेजलहुँ अपन गाम 
तहिना अहूँ  तेजलहुँ हमरा 
आब नहि जानि
गुड्डी भेल मोन कतए पाओत  ठाम ?

✍👤विकाश वत्सनाभ 
२२/०१/२०१७/



💟💟💟💟💟💟💟💝💝💝💝💟💟💟💟💟
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤💙💙💙💚💚💚💚💚💙💙💙💓💓

❤❤💙💚💚

कोई टिप्पणी नहीं